विश्व सम्पदा क्षेत्र

विश्व सम्पदा समितिक आधिकारिक लोगो

संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय अङ्ग युनेस्कोद्वारा बहुमूल्य सम्पदाक रूपमे सूचीकृत विश्वक स्मारक आ स्थानसभके युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र कहल जाएत अछि । [१]युनेस्को कोनो भी राष्ट्रक विशेष सांस्कृतिक महत्व राखैवाला (जेना वन, पहाड, ताल, द्वीप, मरुभूमि, स्मारक, भवन, वा शहर) धरोहरसभके अपन सूचीमे सूचीबद्ध करैत अछि । जे विश्व सम्पदा समितिद्वारा चयन करल जाएत अछि आ अहि समिति ई सम्पदा क्षेत्रके रेखदेख युनेस्कोक तत्वाधानमे करैत अछि ।

ई कार्यक्रमक उद्देश्य विश्वक एहन स्थलसभके सूचीबद्ध करनाए आ संरक्षित करनाए होएत अछि जे विश्व संस्कृतिक दृष्टिसँ मानवताक लेल महत्वपूर्ण होएत अछि । कोनो खास परिस्थितिमे एहन सम्पदासभके ई समितिद्वारा आर्थिक सहयोग सेहो प्रदान कएल जाएत अछि । सन् २०५ जुलाई ३१ धरिमे १६३ राष्ट्रक १०३१ क्षेत्रके विश्व सम्पदाक रूपमे सूचीकृत कएल गेल अछि जहिमे ८०२ सांस्कृतिक, १९७ प्राकृतिक आ ३१ मिश्रत रहल अछि। [२] [३] [४]

प्रत्येक सम्पदा क्षेत्र ओ देशक विशेष सम्पति हएत अछि, जे देशमे ओ स्थल रहैत अछि मुदा अन्तर्राष्ट्रिय समुदायक हितमे सेहो याह बेश होएत अछि कि आबैवाला पिढीके तथा मनावताक हितक लेल सेहो एहन विशेष सम्पदाक संरक्षण कएल जाए । तथापि पुरे विश्व समुदायके एकर संरक्षणक जिम्मेवारी रहैत अछि । [५]

इतिहास

विश्वक सांस्कृतिक आ प्राकृतिक सम्पदाक संरक्षण विषयमे अधिवेशन
हस्ताक्षर १६ नवम्बर १९७२
स्थान पेरिस,फ्रान्स
कार्यान्वयन १७ दिसम्बर १९७५
अवस्था २० अनुममर्थन
सदस्य १९१ (१८७ संयुक्त राष्ट्र संघक सदस्य राष्ट्रसभ संगे कुक टापु, द होलि सी, नियु आ प्यालेस्टाइन)
जामाकर्ता संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक एवं सांस्कृतिक संगठनक महासचिव
भाषासभ अरबिक, अङ्ग्रेजी, फ्रेञ्च, रसियन आ स्पेनी

सन् १९५९ मे इजिप्ट सरकार अस्वान बाँध बनेबाक निश्चय कएलक । अहिसँ प्राचीन सभ्यता समेटल नाइल नदी नजदिकक उपत्यका नुबियामे रहल अनेकौ बहुमुल्य खजानासभके बाँधक पानिसँ बहनाई निश्चित छल । ओ समय युनेस्को इजिप्ट आ सुडान सरकारके आग्रह करवाक संगे एकर रक्षा करैक निमित्त विश्वव्यापी रक्षा उपाय अभियान चलेलक । [६] ई अभियानक कारण ई निश्चित कएल गेल कि ओतेक रहल हजारौं पुरातात्विक सम्पदासभ आ सबसँ एतिहासिक आ चर्चित अबु सिम्बल आ फिलेके कोनो उँच स्थानमे पुनर्स्थापित कएल जाए । ई अभियानक अन्त्य सन् १९८० मे भएल जेकरा पूर्ण रुपसँ सफल मानल गेल । विशेष रूपसँ अभियानमे सहयोग करैवाला राष्ट्रके इजिप्ट अपन चाएरटा मन्दिरसभ उपहार स्वरूप प्रदान कएलक जहिमे: डेनडुर मन्दिरके न्यू योर्क सहरक महानगरीय कला सङ्ग्रहालयमे, डेबोद मन्दिरके म्याड्रिडक पार्क डेल ओएस्तोमे, तफेह मन्दिरके नेदरल्याण्डक रिज्क्स सङ्ग्रहालयमे आ इलिसिया मन्दिरके तुरिनको म्युजियो इगीजियोमे घसकाएल गेल छल । [७]


ई परियोजनाक लागत लगभग $८० मिलियन छल जहिमेसँ $४० मिलियन ५० राष्ट्रसभसँ जम्मा कएल गेल छल । ई अभियानके व्यापक रूपमे पूर्ण सफलता मानल गेल आ याह अभियानसँ प्रेरित भ अनेकौं अभियान चलाएल गेल (जेना भेनिस आ ओकर लगुनक संरक्षण इटालीमे, मोहन जोदडो पाकिस्तानमेइन्डोनेसियामे बोरोबोदर मन्दिर प्राङ्गन) । अहि पश्चात युनेस्को अन्तर्राष्ट्रिय स्मारक तथा स्थल परिषदसँ पहल करि एकटा सम्मेलन कएलक जे मानवताक सार्वजनिक साँस्कृतिक धरोहरसभके संरक्षण करैत रहत ।

Other Languages
Alemannisch: UNESCO-Welterbe
azərbaycanca: Ümumdünya irsi
Boarisch: UNESCO-Wödeabe
беларуская (тарашкевіца)‎: Сусьветная спадчына ЮНЭСКО
brezhoneg: Glad bedel
客家語/Hak-kâ-ngî: Sṳ-kie Vì-sán
hornjoserbsce: Swětowe herbstwo
Bahasa Indonesia: Situs Warisan Dunia UNESCO
日本語: 世界遺産
қазақша: Әлемдік мұра
한국어: 세계유산
Lëtzebuergesch: Weltierfschaft
монгол: Дэлхийн өв
Bahasa Melayu: Tapak Warisan Dunia
Plattdüütsch: List vun dat Weltarv
Nedersaksies: Wealdarfgoodlieste
Nederlands: Werelderfgoed
norsk nynorsk: Verdsarv
саха тыла: Аан дойду Утума
srpskohrvatski / српскохрватски: Svjetska baština
Simple English: World Heritage Site
српски / srpski: Светска баштина
Basa Sunda: Loka Warisan Dunya
svenska: Världsarv
Kiswahili: Urithi wa Dunia
Türkçe: Dünya Mirası
татарча/tatarça: Бөтендөнья мирасы
Tiếng Việt: Di sản thế giới
吴语: 世界遗产
中文: 世界遗产
粵語: 世界遺產