भारत सरकार

आकृति:भारत सरकारभारत सरकार, जे आधिकारिक तौरसँ सङ्घीय सरकार आ आमतौरसँ केन्द्रीय सरकारक नामसँ जानल जाएत अछि, २९ राज्यसभ तथा सात केन्द्रशासित प्रदेशसभक सङ्घीय एकाई जे संयुक्त रुपसँ भारतीय गणराज्य कहलावैत अछि, क नियन्त्रक प्राधिकारी छी। भारत सरकार नयाँ दिल्ली, दिल्लीसँ कार्य करैत अछि।

भारतक नागरिकसभसँ सम्बन्धित बुनियादी दीवानी आ फौजदारी कानून जेना नागरिक प्रक्रिया संहिता, भारतीय दण्ड संहिता, अपराध प्रक्रिया संहिता, आदि मुख्यतः संसदद्वारा बनाएल जाएत अछि। सङ्घ आ हरेक राज्य सरकार तीन अङ्गसभ कार्यपालिका, विधायिका आ न्यायपालिकाक अन्तर्गत काम करैत अछि। सङ्घीय आ राज्य सरकारसभ पर लागू कानूनी प्रणाली मुख्यतः अङ्ग्रेजी साझा आ वैधानिक कानून पर आधारित अछि। भारत किछ अपवादसभक साथ अन्तर्राष्ट्रिय न्यायालयक न्याय अधिकारिताक स्वीकार करएत अछि । स्थानीय स्तर पर पञ्चायती राज प्रणालीद्वारा शासनक विकेन्द्रीकरण कएल गेल अछि।

भारतक संविधान भारतक एक सार्वभौमिक, समाजवादी गणराज्यक उपाधि देत अछि। भारत एक लोकतान्त्रिक गणराज्य अछि, जेकर द्विसदनात्मक संसद वेस्टमिन्स्टर शैलीक संसदीय प्रणालीद्वारा सञ्चालित अछि। एहि शासनमे तीन मुख्य अङ्ग अछि: न्यायपालिका, कार्यपालिका आ व्यवस्थापिका

Other Languages
অসমীয়া: ভাৰত চৰকাৰ
भोजपुरी: भारत सरकार
فارسی: دولت هند
ગુજરાતી: ભારત સરકાર
हिन्दी: भारत सरकार
Bahasa Indonesia: Pemerintahan India
Bahasa Melayu: Kerajaan India
नेपाली: भारत सरकार
ਪੰਜਾਬੀ: ਭਾਰਤ ਸਰਕਾਰ
پنجابی: بھارت سرکار
संस्कृतम्: भारतसर्वकारः
中文: 印度政府